कैलाश पर्वत
कैलाश पर्वत | |
---|---|
उच्चतम विन्दु | |
अवनति | ६,६३८ मी (२१,७७८ फिट) |
स्थलाकृतिक प्रमुखता | १,३१९ मी (४,३२७ फिट) |
निर्देशाङ्क | ३१°४′०″उ॰ ८१°१८′४५″पू॰ / ३१.०६६६७°N ८१.३१२५०°Eनिर्देशाङ्क: ३१°४′०″उ॰ ८१°१८′४५″पू॰ / ३१.०६६६७°N ८१.३१२५०°E |
भूगोल | |
माता शृङ्खला | ट्रान्स-हिमालय |
कैलाश पर्वत (अङ्ग्रेजी: Mount Kailsh , संस्कृत: कैलाश) तिब्बत में स्थित कैलाश हिमश्रृङ्खलाके एगो पर्वत छी । एकर पश्चिम तथा दक्षिण में मानसरोवर तथा राक्षस ताल अछि । एतय एसियाके किछु सभसँ पैग नदीके श्रोतलग अवस्थित अछि - जे में ब्रह्मपुत्र नदी, सिन्धु नदी आ सतलुज नदी रहल अछि । ऐ पर्वतके चार धर्ममें पवित्र मानल गेल अछि जे छी हिन्दू धर्म, जैन धर्म, बोन धर्म आ बौद्ध धर्म ।
नाम
[सम्पादन करी]ऐ पर्वत "कैलाश" के संस्कृत में (कैलाश) कहल जाएत अछि ।[१][२] इ शब्द केलाससँ आयल अछि, जेकर माने "स्फटिक" होएत अछि ।[३]
धार्मिक महत्त्व
[सम्पादन करी]हिन्दू धर्म
[सम्पादन करी]ए तीर्थके गणपर्वत आर रजतगिरि ओ कहल जाएत अछि । कैलाश ६,६३८ मिटर (२१,७७८ फिट) ऊँच शिखर आर वो सँ सटल मानसरोवरक इ तीर्थ छी आर ऐ प्रदेशके मानसखण्ड कहल जाएत अछि । कदाचित प्राचीन साहित्य में उल्लिखित मेरु एतएक अछि । पौराणिक अनुश्रुतिसभ के अनुसार शिव आर ब्रह्मा आदि देवगण, मरीच आदि ऋषि एवं रावण, भस्मासुर आदि एतय तप केने छल । पाण्डव के दिग्विजय प्रयास के समय अर्जुन ऐ प्रदेश पर विजय प्राप्त केने छल । युधिष्ठिर के राजसूय यज्ञ में ऐ प्रदेश के राजा उत्तम घोडा, सोना, रत्न आर याकके पुच्छरके बनल कारी आर उज्जर चामर भेंट केने छला । ऐ प्रदेशके यात्रा व्यास, भीम, कृष्ण, दत्तात्रेय आदि केने छल ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Monier-Williams Sanskrit Dictionary, page 311 column 3
- ↑ Entry for कैलासः सङ्ग्रहित २०१२-०७-०८ archive.today in Apte Sanskrit-English Dictionary
- ↑ Entry for केलासः[permanent dead link] in Apte Sanskrit-English Dictionary
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे कैलाश पर्वतसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |