अगरतला
अगरतला
আগরতলা Agartala | |
---|---|
देश | भारत |
राज्य | त्रिपुरा |
जिला | पश्चिम त्रिपुरा |
सरकार | |
• मेयर | डा. प्रफुल्ल जीत सिन्हा[१] |
• कमिसनर | डा. मिलिन्द रामतेक, आइएसएस[२] |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ७६.५०४ किमी२ (२९.५३८ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | १२.८० मिटर (४१.९९ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१५)[४] | |
• कुल | ५,२२,६१३[३] |
• घनत्व | ६८३१/वर्ग किमी (१७६९०/वर्ग माइल) |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | बङ्गाली आ अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ७९९००१-१०, ७९९०१२, ७९९०१४-१५, ७९९०२२, ७९९०५५ |
टेलिफोन कोड | ९१ (०)३८१ |
सवारी दर्ता | TR 01 XX YYYY |
वेबसाइट | agartalacity.nic.in |
अगरतला /əɡərtəˈl[invalid input: 'ah']/ (बङ्गाली: আগরতলা Agortola) भारतक त्रिपुरा राज्यक राजधानी आ सभसँ पैग शहर छी । ई उत्तर-पूर्व भारतक गुवाहाटी शहरक बाद सभसँ पैग नगर क्षेत्र आ सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल नगर छी । ई शहर त्रिपुराक सरकारी सिट छी । अगरतला भारतके सभसँ तेजीसँ आगा बढि रहल शहर छी ।
अगरतला दुई शब्द अगर जकर अर्थ एक प्रकारक मूल्यवान सुगन्धित गाछ होइत अछि आ + उपसर्ग तला, एक गोदाम घर सँ बनल अछि । अगरतला नगर परिषद ई शहरके शासित करैत अछि । अगरतला हरोआ नदीके किनारमे अवस्थित अछि आ एतयसँ बंगलादेशक सिमाना मात्र २ किमी दुर अछि । अगरतला भारतक मुम्बई आ चेन्नईक बाद तेसर अन्तर्राष्ट्रिय इन्टरनेट गेटवे छी ।[५]
एतय मुख्यत: बङ्गाली भाषा बोलल जाइत अछि । अगरतलाक ह्याण्डलुम बुनाई एतयक मुख्य उद्योग छी । अगरतलाक आधासँ बेसी भाग जङ्गलसँ घेरल अछि, जे प्रकृति-प्रेमी पर्यटकसभके आकर्षित करैत अछि । अगरतला नगर परिषदक सम्पूर्ण क्षेत्रफल ७६.५०४ वर्ग किमी आ सन् २०१३ मे पुनार्निर्मित अगरतला नगर परिषदक जनसङ्ख्या ४,३८,४०८ रहल अछि ।[४] सन् २०११ के भारतक जनगणना अनुसार अगरतलाक साक्षरता दर ९३.८८ अछि जे भारतक साक्षरता दरसँ बेसी अछि ।[६] सन् २०१५ के नगर जनगणना अनुसार अगरतलाक जनसङ्ख्या ५,२२.६१३ अछि ।[७]
इतिहास
[सम्पादन करी]त्रिपुरा राज्यक स्थापना १४अम शताब्दीमे माणिक्य नामक भारतीय-मङ्गोलियन आदिवासी मुखियाद्वारा भेल छल, जे हिन्दू धर्म अपनेनाए छल । सन् १८०८ मे एकरा ब्रिटिश साम्राज्य जित लेलक आ ई एक स्व-शासित शाही राज्य बनि गेल ।[८] त्रिपुराक राजधानी अगरतलाक स्थापना सन् १८५० मे महाराज राधा कृष्ण किशोर माणिक्य बहादुरद्वारा कएल गेल छल । सन् १९५६ मे ई गणतन्त्र भारतमे शामिल भऽ गेल आ सन् १९७२ मे एकरा राज्यक दर्जा प्राप्त भेल ।
पर्यटन स्थल
[सम्पादन करी]पर्यटनक दृष्टिसँ ई एक एहन शहर छी, एतय मनोरञ्जनक तमाम साधन अछि, साहसिक कर्तबक लेल बहुतेक विकल्पसभ ई शहरमे उपलब्ध अछि आ सांस्कृतिक रूपसँ सेहो ई शहर बेहद समृद्ध अछि । एहि वाहेक एतय पावोल जाइवला अलग-अलग प्रकारक जीव-जन्तु आ गाछवृक्ष अगरतला पर्यटनक आओरो रोचक बनाए देनए अछि । अगरतला ओ समय प्रकाशमे आएल जब माणिक्य वंश एकर अपन राजधानी बनेलक । १९अम शताब्दीमे कुकीक लगातार हमललासँ परेशान भऽ महाराज कृष्ण माणिक्य उत्तरी त्रिपुराक उदयपुर स्थित रङ्गामाटीसँ अपन राजधानीके अगरतला स्थानान्तरित करि देलक । राजधानी परिवर्तन करैक एक अओरो कारण ई छल कि महाराज अपन साम्राज्य आ पड़ोसमे स्थित ब्रिटिश बंगलादेशक साथ सम्पर्क बनाबै लेल चाहैत छल । आई अगरतला जे रूपमे स्थापित अछि, दरअसल एकर परिकल्पना सन् १९४० मे महाराज बीर बिक्रम किशोर माणिक्य बहादुर केनए छल । ओ ओहि समय सड़क, बजारक भवन आ नगरनिगमक योजना बनेनाए छल । हुनकर याह योगदानके देखैत आई अगरतलाके बीर बिक्रम सिंह माणिक्य बहादुरक शहर सेहो कहल जाइत अछि । शाही राजधानी आ बंग्लादेशसँ नजदीकी होमएक कारण अतीतमे बहुतेक पैग नामचीन हस्तिसभ अगरतलाक भ्रमण केनए अछि । रविन्द्रनाथ टैगोर बहुतेक बेर अगरतला आएल छल ।
अगरतलामे रहल किछ पर्यटन स्थलसभ निम्न अछि:
उज्जयन्ता दरबार
[सम्पादन करी]सन् १९०१ मे निर्मित उज्जयन्ता दरबार, अगरतलाक मुख्य स्मारक छी जे मुगल-युरोपेली मिश्रित शैलीमे निर्मित अछि । ८०० एकड़मे फैलल ई विशाल परिसर आब राज्यक विधान सभाक रूपमे प्रयुक्त होइत अछि । ई परिसरमे बगैंचा आ मानव-निर्मित ताल अछि । आमतौर पर एकरा जनताक लेल नै खोलल जाइत अछि मुदा यदि अहाँ साँझ ३ सँ ४ बजेके बीच मुख्यद्वार पर जाए तँ अहँ एतयसँ प्रवेशक लेल प्रवेश-पास प्राप्त करि सकैत छी ।
नीर महल
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Agartala Municipal Corporation"। Agartalacity.tripura.gov.in\accessdate=2015-05-07।
- ↑ http://agartalacity.tripura.gov.in/
- ↑ tripurainfo.com/info/ArchiveDet.aspx?WhatId=15446 Municipal Census 2015
- ↑ ४.० ४.१ "The first news, views & information website of TRIPURA"। Tripurainfo। मूलसँ 2013-10-14 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2013-12-20।
- ↑ "Agartala becomes India's third int'l internet gateway"।
- ↑ "Agartala City Population Census 2011 | Tripura"। Census2011.co.in। अन्तिम पहुँच 2013-12-20।
- ↑ tripurainfo.com/info/ArchiveDet.aspx?WhatId=15446 Notification for delimitation of civic wards issued, tripurainfo.com
- ↑ http://iloveindia.com/travel/agartala/history-of-agartala[permanent dead link]
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे अगरतलासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- अगरतला नगर परिषद
- अगरतला विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी